रोहिणी आचार्य की राजीव प्रताप रूडी के बढ़ेथिन टेंशन? जानू सारण पहुंच की कहलनि से
Advertisement

रोहिणी आचार्य की राजीव प्रताप रूडी के बढ़ेथिन टेंशन? जानू सारण पहुंच की कहलनि से

रोहिणी आचार्य क अभियान : रोहिणी आचार्य अ लालू यादव क बेटी आइ सारण संसदीय क्षेत्र मे जनसंपर्क अभियान शुरू केलैइथ छलखिन। अपन चुनाव प्रचार के लेल डोर टू डोर अभियान करई का योजना बनेनलखिन हन।

रोहिणी आचार्य

Rohini Acharya News: लालू यादव के दोसर बेटी रोहिणी आचार्य सारण स॑ चुनाव लड़तै, जेकरा बाद सोनपुर के हरिहरनाथ मंदिर म प्रार्थना करी क अपन चुनाव प्रचार शुरू क देल कई. चुनाव प्रचार शुरू होबय सं पहिने रोहिणी अपन पिता के भगवान कहि क हुनकर पैर छूबि क अ हुनकर आशीर्वाद ल क अपन प्रचार के लेल विदा भ गेलइ. रोहिणी आचार्य आई मंगलदिन चुनाव प्रचार शुरू केलाक बाद कहलखिन की ओ जल्दिये सारण के अपन ‘कर्मभूमि’ बनेथिन. अहां के बता दी की रोहिणी आचार्य सारण लोकसभा सीट स राजद उम्मीदवार छथि. अ सारण लोकसभा स भारतीय जनता पार्टी (भाजपा) के राजीव प्रताप रूडी 2019 मे एहि सीट सं चुनाव जीतने छलाह.

सारण पहुंच की कहलखिन रोहिणी आचार्य ?

आई त ओना रोहिणी आचार्य सारण संसदीय क्षेत्र म जनसंपर्क अभियान टी शुरू क देलकइ हन. मीडिया स गप करैत रोहिणी आचार्य कहलखिन की हम सब काईलहै बाबा हरिहा नाथ क आशीर्वाद लेलौं. आब हम अपन सारण के मतदाता स भेंट करय ल जा रहल छी. अ अहां (मीडिया पर्सन) सेहो हमरा आशीर्वाद दियौ. मंगलदिन अभियानक दौरान पत्रकार सब सं बात करैत ओ कहलखिन की जे, सारणक लोकसभा क्षेत्र सं जे अपार प्रेम आ आशीर्वाद भेटि रहल अछि, ताहि सं हम अभिभूत छी. एहि ठामक मतदाता जाहि तरहें हमरा सां भेंट क रहल छथि, बुझाइत अछि जेना कोनो बेटी अपन घर आबि गेल छई। हम धन्य छी.... ई (सारण) हमर पिता क 'कर्मभूमि' रहल अछि आ आब हमर 'कर्मभूमि' होय जा रहल अइछ। बता देल जाइ के सारण म 20 मई क पांचम चरण म मतदान हैतई.

रोहिणी आचार्य बढ़ेथिन रूडी के टेंशन

रोहिणी आचार्य टेंशन दई लेल हुनकर गढ़ तक पहुंच रहल छथिन. एक तरह स रोहिणी आचार्य सारण लोकसभा क्षेत्र मे आई स चुनाव प्रचार शुरू का देलखिन हन. सूत्रक अनुसार सारण सं ओ राजद क टिकट पर चुनाव लड़तीह. बस कोनो आधिकारिक घोषणा एखन नई भेल अछि. एहि सं पहिने सोमदिन रोहिणी आचार्य अपन पिता लालू यादव आओर मां राबड़ी देवी के संग सोनपुर के हरिहरनाथ मंदिर पहुंचल छलीह. परिवार संग उ एतय पूजा केने छल.

ये भी पढ़ें- BSEB ने जारी किया कक्षा 9 से 10 सक्षमता परीक्षा का रिजल्ट, 98.00 प्रतिशत शिक्षक हुए पास

Trending news